मैथिली लिपी, भाषा, कला, साहित्य प्रति सदा समर्पित - Mithilakshar Lipi

Home Top Ad

मिथिलाक्षर तिरहुता लिपिमे स्वागत अछि

ads

Post

मैथिली लिपी, भाषा, कला, साहित्य प्रति सदा समर्पित

गाम–नगर में 

गाम–नगर में सोरसराबा सुनल गेल बड़ बेसी ।
लोकतन्त्र में अपन अधिकार लऽकऽ रहत मधेशी ।।
जनसंख्या सँ जनसागर में जोरल छलौं हम सीधा ।
खाकऽ हमहुं लाठी गोली पारकेलौं सबटा बाधा ।।

बटवृक्षक अंकुर बनि जनमल कतेको आशा ।
लतरल चतरल मधेस मे हेतै नै कतौ निराशा ।।
जाइत पाइत में नै ओझराकऽ चुनब असली नेता ।
विकास में लिखत नव ईतिहास मधेसक बेटा ।।

हिसाब सीधा सबकिछु में छी आधा के अधिकारी ।
कानून मे जँ ई नै लिखत तँ होयत समस्या भारी ।।
मधेसक नेता चिन्हु समस्या करु नै अपना में टन्टा ।
छी जागल अधिकारक लेल सब मधेसी जनता ।।

- विनीत ठाकुर


1 comment:

  1. हम अहां क विचार स बहुत प्रभावित भेलौ । अहां क लेखन शैली बहुत सुन्दर ऐछ।
    धन्यवाद।

    ReplyDelete

Featured Post

Maithili Kavita ... मैथिली कविता : अभ्यागत ... विनीत ठाकुर

Maithili Poem कतेक देर सँ ठाढ़ छथि द्वार पर अभ्यागत                भिक्षा दऽ कऽ घरनी करु हुनका स्वागत प्रचण्ड गर्मी सँ भीत धेने भेल लहालोट छ...

Post Top Ad

Binit Thakur