गङ्गाप्रसाद उप्रेती | कुलपति |नेपाल प्रज्ञा–प्रतिष्ठान | कमलादी, काठमाण्डू | Ganga Prasad Uprety | - Mithilakshar Lipi

Home Top Ad

मिथिलाक्षर तिरहुता लिपिमे स्वागत अछि

ads

Post

Tuesday, February 18, 2020

गङ्गाप्रसाद उप्रेती | कुलपति |नेपाल प्रज्ञा–प्रतिष्ठान | कमलादी, काठमाण्डू | Ganga Prasad Uprety |


शुभकामना

    साहित्यकार विनीत ठाकुर मैथिली भाषाक ज्ञाता एवम् कुशल स्रष्टा छथि तिरहुता लिपिक प्रबर्धन करैत अपन मातृभाषा मैथिली लगायत नेपालक साझा भाषा नेपाली मे समानान्तर रुप सँ काव्य  सृजना करैत छथि काव्य सर्जक ठाकुर नेपालक एकटा उदीयमान साहित्यकार छथि मैथिली नेपाली दुनु भाषा मे कृति सब रचना कएने छथि सृजना मे नवनव प्रयोग करऽ मे रुचि रखनिहार ठाकुर जापानी साहित्य मे अत्यन्त लोकप्रिय हाइकु के मैथिली भाषा साहित्य मे नवप्रयोग कएलन्हि अछि संक्षिप्त आकार लय के अन्विति मे लिखल जाय बला हाइकु अखन के व्यस्त मनुक्ख सभक लेल आकर्षक रोचक रहल अछि


    मिथिलाक भूगोल मे रहल प्राकृतिक सौन्दर्य, मैथिली संस्कृति के लालित्य, कोमलता श्रमजीवी किसान मजदूर सभक पीड़ा रहल एहि हाइकु संग्रह के सब हाइकु मर्मस्पर्शी सहज अछि नेपालक मैथिली साहित्य भण्डार मे नव कृति दऽ कवि विनीत ठाकुर मैथिली भाषाक पाठकक समक्ष उल्लेखनीय काज कएलन्हि अछि हुनक सृजना कर्म के प्रोत्साहित करैत कृति सार्वजनिक करऽ मे कवि ठाकुर सफल होथि से कामना करैत हार्दिक बधाई ज्ञापन करैत छी हुनक सृजनशीलता उर्वर होइथि रहन्हि से शुभकामना अछि

          गङ्गाप्रसाद उप्रेती

          कुलपति

          नेपाल प्रज्ञाप्रतिष्ठान

          कमलादी, काठमाण्डू 

 गङ्गाप्रसाद उप्रेती | कुलपति |नेपाल प्रज्ञा–प्रतिष्ठान | कमलादी, काठमाण्डू | Ganga Prasad Upreti | Kulpati | Nepal Pragya Pratisthan | Kamladi, Kathmandu | Maithili Haiku | Subhkamana | Mithilakshar | Tirhuta
Kulpati | Nepal Pragya Pratisthan | Kamladi, Kathmandu | Maithili Haiku | Subhkamana | शुभकामना

Featured Post

Maithili Kavita ... मैथिली कविता : अभ्यागत ... विनीत ठाकुर

Maithili Poem कतेक देर सँ ठाढ़ छथि द्वार पर अभ्यागत                भिक्षा दऽ कऽ घरनी करु हुनका स्वागत प्रचण्ड गर्मी सँ भीत धेने भेल लहालोट छ...

Post Top Ad

Binit Thakur