रामभरोस कापडि़ ‘भ्रमर’ | Ram Bharosh Kapari Bhramar | नेपाल प्रज्ञा–प्रतिष्ठान | Nepal Pragya Pratisthan | Haiku | Maithili Haiku - Mithilakshar Lipi

Home Top Ad

मिथिलाक्षर तिरहुता लिपिमे स्वागत अछि

ads

Post

Sunday, February 16, 2020

रामभरोस कापडि़ ‘भ्रमर’ | Ram Bharosh Kapari Bhramar | नेपाल प्रज्ञा–प्रतिष्ठान | Nepal Pragya Pratisthan | Haiku | Maithili Haiku


हुनक हाइकु के प्रकृति पक्ष मजबूत छन्हि छोट शब्द मे प्रकृतिक जे सौन्दर्यक व्याख्या हुनक हाइकु मे आएल अछि मुग्धकारी अछि किछु हाइकु के देखि स्वतः एकर भान भऽ जाएत :

वर्षाक बुन्द
इन्द्र धनुषी रुप
धन्य प्रकृति

प्रचण्ड गर्मी
छटपट दादुर
भथल कूप

    उपर के किछु पंक्ति मे जेना प्रकृति सजीव भऽ आगा मे ठाढ़ भऽ गेल हो कूप मे बास बनौने बेंग प्रचण्ड गर्मी सँ सुखल अपना बासक अभावे कोना छटपटा रहल अछि, एहि दृश्यबिम्ब के ठाढ़ करैत कवि ( हाइकुकार ) सम्पूर्ण परिवेश के जीवन्त कऽ देने  छथि

कचबचिया
करैए कचबच
पहर बोध

    विशुद्ध गामघरक अप्पन सांस्कृतिक परिवेश तकरा परम्परागत मान्यताक शब्द मे रुपान्तरण हम मुग्ध छी एहि कविक बिम्बक पकड़ तकर सन्धान पर विनीतजी खूब समधानि कऽ मैथिली काव्य साहित्य जगत मे हाइकुक स्थापना कएलनि अछि

    मनुक्खक आम जिनगीक पलपल घटैत घटना तकर प्रभावक मूल्यांकन कतौ एहनो भऽ सकैछ :

मगरमच्छ
दयालु साधु लग
बहाबे नोर

    हाइकुक शब्द अनुशासन के बेसी हद धरि आत्मसात करैत प्रकृति मानवीय धरातलक सूक्ष्म तरंग के अपन शब्दक तूलिका सँ जाहि तरहेँ हृदयग्राही विधाक निर्माण कएलनि अछिमैथिली साहित्य हुनक एहि शब्द कौशल सँ समृद्ध भेल अछि हमरा लगैत अछि आबऽ बला समय मे हाइकुक सूक्ष्म अन्तरिक्ष मे विचरण करैत बहुतो नामधारी ग्रहउपग्रहक मध्य विनीतजीक नवका उपग्रहवसुन्धरापठनीय संग्रहणीय कृतिक रुप मे समादृत होयत से हमरा विश्वास  अछि

        रामभरोस कापडि़ 'भ्रमर
        पूर्व सदस्य
        नेपाल प्रज्ञाप्रतिष्ठान
        कमलादी, काठमाण्डू
Maithili Haiku by Binit Thakur / Ram Bharosh Kapari 'Bhramar' / Maithili Literature | Maithili poet

No comments:

Post a Comment

Featured Post

Maithili Kavita ... मैथिली कविता : अभ्यागत ... विनीत ठाकुर

Maithili Poem कतेक देर सँ ठाढ़ छथि द्वार पर अभ्यागत                भिक्षा दऽ कऽ घरनी करु हुनका स्वागत प्रचण्ड गर्मी सँ भीत धेने भेल लहालोट छ...

Post Top Ad

Binit Thakur