हाइकु अन्तरिक्षक एकटा नव उपग्रह : वसुन्धरा | Haiku Antrikshak ekta Nav Upgraha : Vasundhara Maithili Haiku Sangraha - Mithilakshar Lipi

Home Top Ad

मिथिलाक्षर तिरहुता लिपिमे स्वागत अछि

ads

Post

Sunday, February 16, 2020

हाइकु अन्तरिक्षक एकटा नव उपग्रह : वसुन्धरा | Haiku Antrikshak ekta Nav Upgraha : Vasundhara Maithili Haiku Sangraha

हाइकु अन्तरिक्षक एकटा नव उपग्रह : वसुन्धरा
    गढि़कऽ रचना करब हमरा कहियो नीक नहि लागल हम ओहन रचना के गढ़ब बुझैत छी जाहि मे लेख्य अनुशासनक बात कहल जाइत होइक यथा गजल लेखन, कोनो विशेष अवसरक गीत लेखन कविता लेखन आब तेहने काव्य अनुशासनक परिधि मे रहि नव प्रयोग हाइकु लेखन आयल अछि

    मैथिली भाषाक क्षेत्र मे सेहो हाइकु बेस लोकप्रिय भेल जा रहल अछि जापान सँ आएल काव्य विधा हिन्दी, नेपाली होइत मैथिली भाषा मे सेहो प्रयोग होमय लागल अछि एहि विधा के पुस्तकाकार प्रकाशन होइत अछि

    कहल जाइछ जापानी कवि आरकिन्दा मोरिताके ( १४४२१५४० ई. ) मे पहिल बेर हाइकु लिखलनि, यद्यपि तहिया एकराहाइकाइ कहल जाइत छल हाइकु बहुत बाद मे नामकरण भेल मोरिताकेक हाइकु देखू :

        खसल फूल
        डाढि़ पऽ घूरत की
        देख, तितली ( मैथिली अनुवाद )

    नेपाल मे हाइकु लिखनिहार नेपाली कविक कमी नहि अछि ओना वि.सं. २०१९ साल मे शंकर लामिछाने  'रुपरेखा' पत्रिका मे पहिल बेर हाइकु कविता प्रकाशित करौने  छलाह

    तखन  वसुन्धराहाइकु संग्रह पर विचार करबा सँ पूर्व हाइकुक काव्य अनुशासन पर ध्यान दी उत्तम रहत हाइकुक काव्य अनुशासन पर अपन विचार रखैत डा. जगदीश व्योम लिखैत छथि :

=      हाइकु सत्रह वर्ण मे लिखल जाय बला सब सँ छोट कविता थिक एहि मे तीन पाँति रहैछ, जाहि मे पहिल वर्ण, दोसर मे तेसर मे फेर वर्ण

=      संयुक्त वर्ण सेहो एक्कहि वर्ण मानल जाइत अछि

=      किछु हाइकुकार एक्कहि वाक्य के वर्ण के क्रम मे तोडि़ कऽ लिखैत छथि जे सर्वथा गलत अछि

    वास्तव मे प्रकृतिक मनमोहक चित्रणक हेतु हाइकु एकटा सशक्त विधा मानल जाइत अछि कम शब्द मेघाव करत गंभीर सन भाव मे समेटने एकटा पूर्णताक बोध करबैत अछि हाइकु

    हमरा समक्ष मे मैथिली नेपाली साहित्यक अत्यन्त प्रखर, उत्साही, तिरहुता लिपिक अभियानी विनीत ठाकुरजीक हाइकु संग्रहवसुन्धरा पाण्डुलिपि राखल  अछि प्रकृतिगत चित्रण हो अथवा जीवनक कोनो यथार्थ सन्दर्भक आकलन सुन्दर, सटीक भाव दिश गंभीर बला अर्थ के सार्थक करैत हाइकु के जोहने छथि हम हुनक मेहनत लगनशीलता के पूर्वे सँ प्रशंसक रहलहुँ अछि एहि हाइकु संग्रह सँ आओर बढ़बे कएल अछि
 हाइकु अन्तरिक्षक एकटा नव उपग्रह : वसुन्धरा | Haiku Antrikshak ekta Nav Upgraha : Vasundhara Maithili Haiku Sangraha by Vineet Thakur in Mithilakshar (Tirhuta) Script. Maithili Haiku Sangraha
 

No comments:

Post a Comment

Featured Post

Maithili Kavita ... मैथिली कविता : अभ्यागत ... विनीत ठाकुर

Maithili Poem कतेक देर सँ ठाढ़ छथि द्वार पर अभ्यागत                भिक्षा दऽ कऽ घरनी करु हुनका स्वागत प्रचण्ड गर्मी सँ भीत धेने भेल लहालोट छ...

Post Top Ad

Binit Thakur