प्रा. डा. उषा ठाकुर | Pra. Dr. Usha Thakur | Maithili Haiku | Nepal Pragya Pratishtan | Kamaladi | Kathmandu - Mithilakshar Lipi

Home Top Ad

मिथिलाक्षर तिरहुता लिपिमे स्वागत अछि

ads

Post

Sunday, February 16, 2020

प्रा. डा. उषा ठाकुर | Pra. Dr. Usha Thakur | Maithili Haiku | Nepal Pragya Pratishtan | Kamaladi | Kathmandu

एहि मे सब शब्द सार्थक अछि जाहि मे एकटा पूर्ण बिम्ब सजीव बनल अछि प्रतीक चयन सेहो सार्थक सटीक अछि एहि मे हाइकु के अनिवार्य शर्त, कवित्व पूर्ण रुप मे कायम अछि जाहि मे छन्द विशेषक सघन अनुभूति के कलात्मक रुप मे प्रस्तुत कएल गेल अछि वण्र्य विषय मे विविधता अछि

    एहि हाइकु कविता सब मे जीवनक प्रति आशा आओर विश्वास अछि अत्यन्त संक्षिप्त आओर सूक्ष्म भाषा मे लिखल गेल कृति एक दिश समाज के दर्पण अछि दोसर दिश समाजक लेल दिशा निर्देशक सेहो अछि

    एतऽ एक दिश मिथिलाक लोक संस्कृति, ग्राम्य संस्कृति सजीव रुप मे वर्णित अछि दोसर दिश दार्शनिक चिन्तन सेहो समाहित अछि

जलजमीन
स्वच्छ रहला पर
धरती स्वर्ग

    सारांशतः एहि कृति मे लघुतम कलेवर मे गंभीर भाव आओर विचार के सशक्त अभिव्यक्ति सराहनीय  अछि वास्तव मे एकटा पठनीय आओर संग्रहणीय कृति  अछि संरचनाक दृष्टि सँ सेहो एहि मे अभिव्यक्त भाव, विचार आओर अनुभूतिक गहनता सराहनीय अछि विनीत ठाकुरजी के हार्दिक बधाई तथा हुनक उत्तरोत्तर प्रगति के लेल हार्दिक शुभकामना

        प्रा.डा. उषा ठाकुर
        सदस्य
        नेपाल प्रज्ञाप्रतिष्ठान
        कमलादी, काठमाण्डू
 Pra. Dr. Usha Thakur | Sadashya | Nepal Pragya Pratisthan | Kamladi | Kathmandu | Maithili Haiku

No comments:

Post a Comment

Featured Post

Maithili Kavita ... मैथिली कविता : अभ्यागत ... विनीत ठाकुर

Maithili Poem कतेक देर सँ ठाढ़ छथि द्वार पर अभ्यागत                भिक्षा दऽ कऽ घरनी करु हुनका स्वागत प्रचण्ड गर्मी सँ भीत धेने भेल लहालोट छ...

Post Top Ad

Binit Thakur