मिथिलाक्षर (तिरहुता) लिपि मिथिलाक प्राचीन लिपि अछि । एहि मैथिली लिपिके संरक्षण पर सभ मैथिली साहित्य अभियानी सभके जोर देवाक लेल विनम्र आग्रह करैत छी । – विनीत ठाकुर
८५.
सिक्कैट पर
पाकल तिलकोर
खोदैय सुगा ।
८६.
कमल फूल
पर्शुराम कुण्ड मे
हेलैय सिल्ली ।
८७.
साइकल सँ
पर्यावरण रक्षा
उर्जा वचत ।
८८.
जुआन बाघ
हाथी सँ लडि़गेल
गिद्धक भोज ।
वसुन्धरा मैथिली हाइकु संग्रह / Vasundhara Maithili Haiku Sangrah
No comments:
Post a Comment