विनीत रचित मैथिली हाइकु पर एक विहंगम दृष्टि | Vineet Rachit Maithili Haiku par Ek Vihangam Drishti | Professor Dr. Usha Thakur - Mithilakshar Lipi

Home Top Ad

मिथिलाक्षर तिरहुता लिपिमे स्वागत अछि

ads

Post

Sunday, February 16, 2020

विनीत रचित मैथिली हाइकु पर एक विहंगम दृष्टि | Vineet Rachit Maithili Haiku par Ek Vihangam Drishti | Professor Dr. Usha Thakur

विनीत रचित मैथिली हाइकु पर एक विहंगम दृष्टि

    विनीत ठाकुर निरन्तर क्रियाशील स्रष्टाक रुप मे एकटा परिचित तथा चर्चित नाम अछि एहि क्रम मे मैथिली हाइकु संग्रह लऽकऽ पाठक समक्ष प्रस्तुत भेल छथि हुनक एहि कृति मे कुल १०० हाइकु संग्रहीत अछि



    हाइकु के संगसंग कविता, कथा, गीत, लेख, निबन्ध आदि विधा मे कलम चलाबऽ मे क्रियाशील छथि मैथिली आओर नेपाली साहित्य जगत् मे हुनक बहुआयामिक साहित्यिक व्यक्तित्व खूब लोकप्रिय छनि हुनका द्वारा रचित गीति संग्रह, मैथिली सँ नेपाली मे अनुदित कथा संग्रह, मैथिली नेपाली भाषाक लब्धप्रतिष्ठित साहित्यिक पत्रपत्रिका तथा वेबसाइट सब मे प्रकाशित कथा, कविता, निबन्ध, धर्मसंस्कृति सम्बन्धी आलेख सब बेस चर्चित पठनीय अछि युगकवि सिद्धिचरण श्रेष्ठक कविता के हिन्दी मे अनुवाद सेहो कएने छथि जे प्रकाशन के क्रम मे अछि मैथिली फिल्म एल्बम सब मे बहुत गीत लिखने छथि जे खुब लोकप्रिय प्रशंसनीय अछि विनीतजी मैथिली लिपि के प्रबर्धन साहित्यक सेवा हेतु विभिन्न संघसंस्था द्वारा अनेकानेक साहित्यिक मानसम्मान सँ सम्मानित स्रष्टा छथि



    एतऽ चर्चाक विषय अछि विनीत ठाकुरजी रचित मैथिली हाइकु संग्रह  ‘'वसुन्धराके हाइकु कविता मूल रुप सँ जापानी कविता अछि, मुदा आब विधा विश्वसाहित्य जगत् मे खुब लोकप्रिय भऽरहल अछि एतऽ धरि कि अंग्रेजी तथा विश्वक अनेक भाषा सबहक संग हिन्दी आओर नेपाली साहित्य मे सेहो हाइकु प्रमुख विधा बनि चुकल अछि एतबे नहि नेपालक मातृभाषा सब मे सेहो हाइकु विधा अत्यन्त लोकप्रिय भऽ साहित्यजगत् मे छपि रहल अछि



    नेपालक सांस्कृतिक, भाषिक, धार्मिक विविधता सब के एकताक सूत्र मे जोड़ब हमरा सभक परम कत्र्तव्य अछि नेपाली भाषा साहित्य के संगसंग नेपालक सम्पूर्ण मातृभाषा साहित्य के विविध विधाद्वारा संरक्षण संबद्र्धन करब सभ साहित्यकारक दायित्व अछि विनीत ठाकुरजी मैथिली भाषा के संगसंग नेपाली भाषा के विविध विधा मे सफलतापूर्वक कलम चला कऽ हमरा सभक बीच के आपसी सद्भाव

विनीत रचित मैथिली हाइकु पर एक विहंगम दृष्टि | Vineet Rachit Maithili Haiku par Ek Vihangam Drishti Professor Dr. Usha Thakur | Maithili font | Maithili Haiku in Mithilakshar script 

No comments:

Post a Comment

Featured Post

Maithili Kavita ... मैथिली कविता : अभ्यागत ... विनीत ठाकुर

Maithili Poem कतेक देर सँ ठाढ़ छथि द्वार पर अभ्यागत                भिक्षा दऽ कऽ घरनी करु हुनका स्वागत प्रचण्ड गर्मी सँ भीत धेने भेल लहालोट छ...

Post Top Ad

Binit Thakur